मैथिल महिला विभूति

प्राचीन कालसं मिथिला क्षेत्र मे एक सँ एक महिला विद्वान विभूति भेलथि जिनक विद्वता, क्षमता एवं प्रखरतासँ मिथिला गौरवान्वित भ रहल अछि. जहिमे एहि  विदूषि आ विद्वान महिलाक योगदान के कहियो बिसरल नहि जा सकैछ 

Image of Bindhyawashni Devi
Bindhyawashni Devi



 विन्ध्यवासिनी देवी 




मैथिली लोकगायिका विंध्यवासिनी देवीक जन्म 1920 मे मुजफ्फरपुर में भेलनि। ओ गया घरानाक गायिका छलीह। जखन कैसेट, सी.डी. आ रेकाॅर्डक चलन नही छल ओहि दौरमे रेडियोक माध्यम सँ विंध्यवासिनी देवी बिहारक लोकके जुबान आ दिल पर राज करैत छलीह। मैथिलीक संग भौजपुरी, मगही भाषामे हिनका द्वारा लोकगीत गायल गेल। 
प्रमुख पुरस्कार आ सम्मानः 1974- पद्मश्री सम्मान, 1991- संगीत नाटक अकादमी सम्मान, 1998-मध्यप्रदेश सरकार द्वारा देवी अहिल्याबाई अवार्ड, बिहार रत्न सम्मान, भिखारी ठाकुर सम्मान, 2006 -संगीत नाटक फेेलोशिप। 
छैठ पर्वक गीतके पहिल एलबम साइठक दशक मे एच.एम.वी. म्युजिक कम्पनी द्वारा निकालल गेल जाहि मे विंध्यवासिनी देवीक गाओल गीत काफी प्रसिद्ध भेल। हिनका दुटा लड़का आ एकटा लड़की छल। 

हिनक देहान्त 86 बरखक उम्रमे 18 अप्रील 2006 क' कंकड़बाग पटना मे भेलनि, मुदा हुनक गाओल लोकगीतक बोल एखन धरि कला आ संगीत प्रेमीक बीच अमर अछि। 

कामेश्वरी देवी
मधुबनी जिलाक नवानी गामक। जन्म 1922 ई. मे अपन मातृक नाहरमे भेलनि। पति पंo मदनमोहन झा। बरौनीवासी प्रसिद्ध तान्त्रिक पण्डित केशव मिश्र हिनक पिता छलथिन। "मिथिला संस्कार गीत" पोथी।

उषाकिरण खान 
जन्म: 24 अक्टूबर 1945, कथा एवं उपन्यास लेखनमे प्रख्यात। मैथिली तथा हिन्दी दूनू भाषाक चर्चित लेखिका। प्रकाशित कृति: अनुंत्तरित प्रश्न, दूर्वाक्षत, हसीना मंज़िल, भामती (उपन्यास)। 2010-श्रीमति उषाकिरण खान (भामती, उपन्यास) लेल साहित्य अकादेमी पुरस्कार- मैथिली।

ज्ञानसुधा मिश्र 
भारतक उच्चतम न्यायालयक चारिम महिला न्यायाधीश आ पहिल मैथिलानी।
विभा रानी (1959) 
लेखक-एक्टर-सामाजिक कार्यकर्ता- बहुआयामी प्रतिभाक धनी विभा रानी राष्ट्रीय स्तरक हिन्दी व मैथिलीक लेखिका, अनुवादक, थिएटर एक्टर, पत्रकार छथि, जिनक दर्ज़न भरि से बेसी किताब प्रकाशित छन्हि आ कएकटा रचना हिन्दी आ र्मैथिलीक एकटा किताबमे संकलित छन्हि। मैथिली के 3
तीन साहित्य अकादमी पुरस्कार विजेता लेखकक 4 गोट किताब "कन्यादान" (हरिमोहन झा), "राजा पोखरे में कितनी मछलियां" (प्रभास कुमार चाऊधरी), "बिल टेलर की डायरी" व "पटाक्षेप" (लिली रे) हिन्दीमे अनूदित छन्हि। समकालीन विषय, फ़िल्म, महिला व बाल विषय पर गंभीर लेखन हिनक प्रकृति छन्हि। रेडियोक स्वीकृत आवाज़क संग ई फ़िल्म्स डिविजन लेल डॉक्यूमेंटरी फ़िल्म, टीवी चैनल्स लेल सीरियल्स लिखल व वॉयस ओवरक काज केलन्हि। 

मिथिलाक 'लोक' पर गहराई स काज करैत 2 गोट लोककथाक पुस्तक "मिथिला की लोक कथाएं" व "गोनू झा के किस्से" के प्रकाशनक संगहि संग मिथिलाक रीति-रिवाज, लोकगीत, खान-पान आदिक वृहत खज़ाना हिनका लग अछि। हिन्दीमे हिनक 2 गोट कथा संग्रह "बन्द कमरे का कोरस" व "चल खुसरो घर आपने" तथा मैथिली में एक गोट कथा संग्रह "खोह स' निकसइत" छन्हि। 

हिनक लिखल नाटक 'दूसरा आदमी, दूसरी औरत' राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय, नई दिल्ली के अन्तर्राष्ट्रीय नाट्य समारोह भारंगममे प्रस्तुत कएल जा चुकल अछि। नाटक 'पीर पराई'क मंचन, 'विवेचना', जबलपुर द्वारा देश भरमे भ रहल अछि। अन्य नाटक 'ऐ प्रिये तेरे लिए' के मंचन मुंबई व 'लाइफ़ इज नॉट अ ड्रीम' के मंचन फ़िनलैंडमे भेलाक बाद मुंबई, रायपुरमे कएल गेल अछि। 'आओ तनिक प्रेम करें' के 'मोहन राकेश सम्मान' से सम्मानित तथा मंचन श्रीराम सेंटर, नई दिल्लीमे कएल गेल। "अगले जनम मोहे बिटिया ना कीजो" सेहो 'मोहन राकेश सम्मान' से सम्मानित अछि। दुनु नाटक पुस्तक रूप में प्रकाशित सेहो अछि। मैथिलीमे लिखल नाटक "भाग रौ" आ "मदद करू संतोषी माता" अछि। हिनक नव मैथिली नाटक प्रस्तुति छन्हि- बलचन्दा।
विभा 'दुलारीबाई', 'सावधान पुरुरवा', 'पोस्टर', 'कसाईबाड़ा', सनक नाटक के संग-संग फ़िल्म 'धधक' व टेली -फ़िल्म 'चिट्ठी'मे अभिनय केलन्हि अछि। नाटक 'मि. जिन्ना' व 'लाइफ़ इज नॉट अ ड्रीम' (एकपात्रीय नाटक) हिनक टटका प्रस्तुति छन्हि।

'एक बेहतर विश्र्व-कल के लिए' के परिकल्पनाक संगे विभा 'अवितोको' नामक बहुउद्देश्यीय संस्था संग जुड़ल छथि, जिनक अटूट विश्र्वास 'थिएटर व आर्ट- सभी के लिए' पर अछि। 'रंग जीवन' के दर्शनक साथ कला, रंगमंच, साहित्य व संस्कृति के माध्यम से समाज के 'विशेष' वर्ग, यथा, जेल-बन्दी, वृद्ध्राश्रम, अनाथालय, 'विशेष' बच्चा सभके बालगृहक संगहि संग समाजक मुख्य धारा लोकक बीच सार्थक हस्तक्षेप करैत छथि। एतय हिनकर नियमित रूप से थिएटर व आर्ट वर्कशॉप चलति छन्हि। अहि सभक अतिरिक्त कॉर्पोरेट जगत सहित आम जीवनक सभटा लोक आओर लेल कला व रंगमंचक माध्यम से विविध विकासात्मक प्रशिक्षण कार्यक्रम सेहो आयोजित करैत छथि। श्रीमति विभारानी सम्प्रति मुम्बईमे रहैत छथि।

लिली रे
जन्म: 26 जनवरी, 1933,पिता:भीमनाथ मिश्र,पति: डॉ. एच.एन्.रे, दुर्गागंज, मैथिलीक विशिष्ट कथाकार एवं उपन्यासकार। मरीचिका उपन्यास पर साहित्य अकादेमीक 1982 ई. मे पुरस्कार। मैथिलीमे लगभग दू सय कथा आ पाँच टा उपन्यास प्रकाशित। विपुल बाल साहित्यक सृजन। अनेक भारतीय भाषामे कथाक अनुवाद-प्रकाशित। प्रबोध सम्मान प्राप्त।

शांति सुमन
जन्म 15 सितम्बर 1942, कासिमपुर, सहरसा, बिहार, प्रकाशित कृति, “ओ प्रतीक्षित, परछाई टूटती, सुलगते पसीने, पसीने के रिश्त, मौसम हुआ कबीर, समय चेतावनी नहीं देता, तप रेहे कचनार, भीतर-भीतर आग, मेघ इन्द्रनील (मैथिली गीत संग्रह), शोध प्रबंध: मध्यवर्गीय चेतना और हिन्दी का आधुनिक काव्य, उपन्यास: जल झुका हिरन। सम्मान: साहित्य सेवा सम्मान, कवि रत्न सम्मान, महादेवी वर्मा सम्मान। अध्यापन कार्य।

शेफालिका वर्मा 
जन्म: 09 अगस्त 1943, जन्म स्थान: बंगाली टोला, भागलपुर। शिक्षा: एम., पी.एच.डी. (पटना विश्व विद्यालय), ए. एन. कालेज मे हिन्दीक प्राध्यापिका । 
प्रकाशित रचना: झहरैत नोर, बिजुकैत ठोर। नारी मनक ग्रन्थिकेँ खोलि: करुण रससँ भरल अधिकतर रचना। प्रकाशित कृति : विप्रलब्धा कविता संग्रह,स्मृति रेखा संस्मरण संग्रह, एकटा आकाश कथा संग्रह, यायावरी यात्रावृत्तान्त, भावाञ्जलि काव्यप्रगीत। ठहरे हुए पल हिन्दी संग्रह ।

इलारानी सिंह
जन्म 1 जुलाई, 1945, निधन : 13 जून, 1993, पिता: प्रो. प्रबोध नारायण सिंह सम्पादिका : मिथिला दर्शन, विशेष अध्ययन: मैथिली, हिन्दी, बंगला, अंग्रेजी, भाषा विज्ञान एवं लोक साहित्य। प्रकाशित कृति: सलोमा (आस्कर वाइल्डक फ्रेंच नाटकक अनुवाद 1965), प्रेम एक कविता (1968) बंगला नाटकक अनुवाद, विषवृक्ष (1968) बंगला नाटकक अनुवाद, विन्दंती (1972), स्वरचित: मैथिली कविता संग्रह (1973), हिन्दी संग्रह।

नीरजा रेणु
जन्म: 11 अक्टूबर 1945,नाम: कामाख्या देवी, उपनाम:नीरजा रेणु, जन्म स्थान: नवटोल,सरिसबपाही। शिक्षा: बी.ए. (आनर्स) एम.ए., पी-एच.डी.,गृहिणी। प्रकाशित रचना:ओसकण (कविता मि.मि.,1960) लेखन पर पारिवारिक, सांस्कृतिक परिवेशक प्रभाव। मैथिली कथा धारा साहित्य अकादेमी नई दिल्लीसँ स्वातन्त्र्योत्तर मैथिली कथाक पन्द्रह टा प्रतिनिधि कथाक सम्पादन। सृजन धार पियासल कथा संग्रह, आगत क्षण ले कविता संग्रह, ऋतम्भरा कथा संग्रह, प्रतिच्छवि हिन्दी कथा संग्रह,1960 सँ आइधरि सएसँ अधिक कथा, कविता, शोध निबन्ध, ललित निबन्ध आदि अनेक पत्र-पत्रिका तथा अभिनन्दन ग्रन्थमे प्रकाशित। मैथिलीक अतिरिक्त किछु रचना हिन्दी तथा अंग्रेजीमे सेहो।

प्रेमलता मिश्र ’प्रेम’
जन्म: 1948, जन्मस्थान:रहिका, माता:श्रीमती वृन्दा देवी, पिता: पं. दीनानाथ झा, शिक्षा:एम.ए., बी.एड. प्रसिद्ध अभिनेत्री दू सयसँ बेशी नाटकमे भाग लेलनि। भंगिमा (नाट्यमंच) क भूतपूर्व उपाध्यक्षा, पत्रिकाक सम्पादन, कथा लेखन आदिमे कुशल । ’अरिपन’ आदि अनेक संस्था द्वारा पुरस्कृत-सम्मानित।

आशा मिश्र 
जन्म: 06.07.1950 ई., प्रकाशित कथा मे मैथिकीक संग हिन्दी मे सेहो। सभसँ पैघ विजय मैथिली कथा संग्रह।

नीता झा
जन्म: 21.01.1953, व्यवसाय:प्राध्यापिका। लेखन पर समाजक परम्परा तथा आधुनिकताक संस्कार सँ होइत विसंगतिक प्रभाव। प्रकाशित कृति: फरिच्छ, कथा संग्रह 1984, कथानवनीत 1990, सामाजिक असन्तोष ओ मैथिली साहित्य शोध समीक्षा।

ज्योत्स्ना चन्द्रम
मूल नाम: कुमारी ज्योत्स्ना, उपनाम: ज्योत्स्ना आनन्द, जन्मतिथि: 15 दिसम्बर, 1963, जन्मस्थान: मरूआरा, सिंधिया खुर्द, समस्तीपुर, पिता: श्री मार्कण्डेय प्रवासी, माता: श्रीमती सुशीला झा, कार्यक्षेत्र: अध्ययनाध्यापन। रचना प्रकाशित: झिझिरकोना (कथा-संग्रह), एसगर-एसगर (नाटक), बीतक संग संकलन एवं सम्पादन। एकर अतिरिक्त दर्जनाधिक कथा ओ कविता विभिन्न पत्र-पत्रिका में प्रकाशित तथा आकाशवाणीक पटना, भागलपुर, दरभंगा केन्द्रसँ प्रसारित। शिक्षा : पटना विश्वविद्यालयसँ हिन्दी साहित्यमे एम.ए,।

सुस्मिता पाठक 
जन्म:25 फरवरी, 1962, सुपौल, बिहार। परिचिति कविता संग्रह, कथावाचक, कथासंग्रह  प्रकाशित।राजनीति शास्त्रमे एम.ए.। संगीत, पेंटिंगमे रुचि। मैथिलीक  पोथी पत्रिका पर अनेक रेखाचित्र प्रकाशित। समकालीन जीवन, समय आ तकर स्पंदनक कवयित्री। अनेक भाषामे रचनाक अनुवाद प्रकाशित।

ज्योति सुनीत चौधरी 
जन्म तिथि -30 दिसम्बर 1978; जन्म स्थान बेल्हवार, मधुबनी; शिक्षा-स्वामी विवेकानंद मिडिल स्कूल़ टिस्को साकची गर्ल्स हाई स्कूल़, मिसेज के.एम.पी.एम इन्टर कालेज़, इन्दिरा गान्धी ओपन यूनिवर्सिटी,आइ सी डबल्यू ए.आइ (कॉस्ट एकाउण्टेन्सी); निवास स्थान-लन्दन, यू.के. पिता श्री शुभंकर झा, ज़मशेदपुर; माता-श्रीमती सुधा झा, शिवीपट्टी। ज्योतिकेँ www. poetry.com सँ संपादकक चॉयस अवार्ड (अंग्रेजी पद्यक हेतु भेटल छन्हि। ज्योति मिथिला चित्रकलामे सेहो पारंगत छथि आ हिनकर मिथिला चित्रकलाक प्रदर्शनी ईलिंग आर्ट  ग्रुपकेर अंतर्गत ईलिंग ब्रॊडवे, लंडनमे प्रदर्शित कएल गेल अछि। कविता संग्रह ’अर्चिस्’ प्रकाशित।

मैत्रेयी 
याज्ञवल्क्यक दू टा पत्नी छलथिन्ह, 1. कात्यायनी आऽ दोसर मैत्रेयी। मत्रेयी ब्रह्मवादिनी छलीह। कात्यायनीसँ हुनका तीनटा पुत्र छलन्हि- चन्द्रकान्ता, महामेघ आऽ विजय।

श्वेता झा चौधरी, चित्रकार 
गाम सरिसवपाही, ललित कला आ गृहविज्ञानमे स्नातक। मिथिला चित्रकलामे सर्टिफिकेट कोर्स। कला प्रदर्शिनी:एक्स.एल.आर.आइ.,जमशेदपुरक सांस्कृतिक कार्यक्रम, ग्राम-श्रीमेला जमशेदपुर, कला मन्दिर जमशेदपुर (एक्जीवीशन आ वर्कशॉप)। कला सम्बन्धी कार्य: एन.आइ.टी. जमशेदपुरमे कला प्रतियोगितामे निर्णायकक रूपमे सहभागिता, २००२-०७ धरि बसेरा, जमशेदपुरमे कला-शिक्षक (मिथिला चित्रकला),  वूमेन कॉलेज  पुस्तकालय आ हॉटेल बूलेवार्ड लेल वाल-पेंटिंग। प्रतिष्ठित स्पॉन्सर: कॉरपोरेट कम्युनिकेशन्स, टिस्को;. टी.एस. आर.डी.एस, टिस्को; ए.आइ.ए.डी.ए., स्टेट बैंक ऑफ इण्डिया, जमशेदपुर; विभिन्न व्यक्ति, हॉटेल, संगठन आ व्यक्तिगत कला संग्राहक।

शशिबाला 
पिता श्री उग्र नारायण लाल, पति श्री उमेश कुमार कण्ठ (बिसहथ)। शिवाकश्यप आ कृष्ण कुमार कश्यपक सहयोगसँ "भारती विकास संस्था "क  स्थापना। रचना: कृष्ण कुमार कश्यपक संग  "मेघदूत" आ "गीत-गोविन्द"क  मैथिली  अनुवाद, माछ-भात, मिथिला चित्र-शिक्षा, भाग-१, मिथिला चित्र-कोर, भाग-३। 

वाणी मिश्र, कवियित्री १९५३-१९९६ 
कोइलख, मधुबनी। जन्मस्थान तिलाठी, नेपाल।

कमला चौधरी 1953 
कृति- मैथिलीक वेश-भूषा-प्रसाधन सम्बन्धी शब्दावली, प्रकाशनाधीन: बाटे बिलायल पानि (कथा संग्रह), पिया मधुमास (कविता संग्रह), आशापूर्णा देवीक बंगला लघु उपन्यास मन मंजूषाक मैथिली अनुवाद। मुजफ्फरपुरसँ प्रकाशित मैथिली साहित्यिक पत्रिका स्वातीक सम्पादन (1984-85
संकलन जारी अछि ----------
संकलन स्त्रोत- विभिन्न 

संकलित आ प्रदर्शित आलेख विभिन्न वेबसाईट आ ब्लॉग्स सं संकलित अछि, एकर सर्वाधिकार रचनाकार, सम्बन्धित फोटोग्राफर आ संग्रहकर्त्ताक लगमे छन्हि। पूर्णत: अव्यवसायिक उद्देश्य आ मात्र जानकारी आ एकेडमिक प्रयोग लेल।

No comments:

Post a Comment

कलर्स आफ मिथिला- स्वागतम आलेख

Hamar Pranam अपनेक स्वागत अछि, मिथिलाक भव्य सांस्कृतिक-सामाजिक परम्परा, लोककला, धरोहर, विभूति क' जानकारी, संगहिं मिथिला-म...